06 June 2016

कोन मशीनमे दैवा गढ़लखुन kon mashin me daiwa gadhalkhun

Background ,,
कोना गढ़लकौ...गे गोरी गोरी कोना गढ़लकौ

Singer
कोन मशीन मे दैवा गढ़लखुन तोरा पोरे पोर
तूँ तऽ लागै छेँ बेजोड़, गोरी लागै छेँ बेजोड़

लालकी बिन्दी एना जेना नभ मे उगल तारा गे
नथिया लागौ एना जेना फूल पर बैसल भँवरा गे
लाल गुलाब सन टुहटुह लागौ तोहर दुन्नू ठोर
तूँ तऽ लागै छेँ...........

कानक बाली लाइट मारै छौ यौवन करौ फाइट गे
तोरे खातिर कत्ते छौड़ा मरौ अहुरिया काटि गे
रसे रसे मनमे उठय रहि रहि खूब हिलोर
तूँ तऽ लागै ...........................

कोमल काया तै पर दै छेँ कारी नैनक जादू गे
सोलह वसंतक दर्शन कऽ के, अमित भेलौ बेकाबू गे
तूहीँ साँझ तूँहीँ दुपहर तूँहीँ हमर भोर
तूँ हीँ हमर भोर
तूँ तऽ लागै.........

गायक- अजय उजनियाँ
एलवम- छौड़ा उजनियाँ

No comments:

Post a Comment

गीत पढ़बाक लेल धन्यवाद, एहिपर अहाँक टिपणीक बाट जोहै छी ।