25 May 2016

मैथिली भगवती गीत- मलिनियाँ फुलबा ल आनिहें

मलिनियाँ फूलबा ल आनिहें
हम देबौ तोरा त गहना, मलिनियाँ....

नवरातर मे देवी माँ लए,आनिहें तूँ चम्पा बेली गे
अपराजिता तिरामिरा कमल फुल-2 मैया लए आनिहें डेली
मलिनियाँ फुलबा.....

भोरे भोर बेलपात तूँ आनिहें, दुर्वादल आरो अक्षत गे
माला बाना लाल फूल अरहूल-2 मैया के घेंट पेन्हायब
मलिनियाँ फुलबा.........

दुर्गा माँ के सेवा जँ करबें, मेटतौ त तोरो दुखरा गे
अमित मिश्र पर मैया के नजरि-2 पड़िते बनि जेतै जतरा
मलिनियाँ फूलबा...........

No comments:

Post a Comment

गीत पढ़बाक लेल धन्यवाद, एहिपर अहाँक टिपणीक बाट जोहै छी ।