08 January 2017

भोला बाबा यौ जीवन हमर कठोर

भोला बाबा यौ, जीवन हमर कठोर
जनमहिं सँ हम विपति के मारल-2
नैना सँ बहै अछि नोर
भोला बाबा यौ......
1
जनम त कानिते भेल यौ बाबा, कानिते बीतल भोर-2
साँझ पहर धरि नोरे बहाओल, पापी केहन बेजोड़
भोला बाबा............
2
केलक ने कहियो स्नेह त कियो, लेलक ने कियो कोर-2
निर्माले सन अहूँ त तेजलौं, देलहुँ विपति अघोर
भोला बाबा यौ.......
3
केहन अदिन्ता, भाग हमर छै, पुण्य केलहुँ नै थोड़-2
अन्त समय यमराज जखन एल, धयलहुँ चरणा तोर
भोला बाबा यौ.......

No comments:

Post a Comment

गीत पढ़बाक लेल धन्यवाद, एहिपर अहाँक टिपणीक बाट जोहै छी ।