तोरे देबौ रौ हजमा तोरे देबौ रौ
बौआ के, मौसी छै बड सुन्नर रौ हजमा तोरे देबौ ना
तोरे देबौ ना रौ हजमा तोरे देबौ ना
बौआ के,,,,,, ,
नहु नहु काटेँ केश बौआके, देबौ धोती जोड़ा
अंगा गमछा सेहो देबौ, देबौ सिदहा तोरा
झट दऽ अपन कैँची निकाल, सब किछु देबौ ना
बौआ के, मामी छै बड सुन्नर रौ हजमा तोरे देबौ ना
दाइ माइ हिलमिल गीत गाबै छथि, सब मनबै छथि तोरा
जे सब चाही माँगि ले हजमा, भरि देबौ आइ झोड़ा
बौआके जग मुरन क क, टाका देबौ ना
बौआ के, नानी छै बड़ सुन्नर रौ हजमा तोरे देबौ ना
हमर राजकुमार बौआके, होइ छै आइ जगमुरन
बजा बजनिया ढोल जमा कऽ, दीदी लगबै उबटन
मौसी कुमारि कुसुम कली सन, तोरे देबौ ना
रौ हजामा, बौआके छै मुरन आइ मामी तोरे देबौ ना
Ge ham chhi paral athah bhamar me maiya naiya laben na
No comments:
Post a Comment
गीत पढ़बाक लेल धन्यवाद, एहिपर अहाँक टिपणीक बाट जोहै छी ।