23 March 2016

भैया संगे की की भेल

Boy- भैया संगे की की भेल, बाजू कने भौजी
हे यै भौजी बाजू ने, एना लजाउ ने भौजी
Girl- भैया संगे की की भेल, पुछू जुनि देवर जी
यौ देवर जी मानू ने, ई सब पुछू नै देवर जी

Boy- आइ नै छोड़ब हम सुनिये कऽ मानब
देवर बला तोहफा आइ लैये कऽ रहब
बात नै नुकाउ यै अहाँ, कहू सबटा भौजी
हेयै भौजी कहू ने, एना लजाउ नै यै भौजी

Girl- सब केँ देखू हनीमून करैये
छुट्टी नै भेटलनि आइ जून बीतैये
आगि नै लगाउ यौ अहाँ, जारू जुनि देवर जी
यौ देवर जी मानू ने, ई सब पुछू नै देवर जी

Boy- अहाँ जँ चान छी तऽ भैया सितारा
जीवन भरि देता ओ प्रेमक फुहारा
रूस्सा फुल्ली छोरू अहाँ, अमितसँ यै भौजी
हेयै भौजी बाजू नै, कने कहू ने यै भौजी
यौ देवर जी....... .

No comments:

Post a Comment

गीत पढ़बाक लेल धन्यवाद, एहिपर अहाँक टिपणीक बाट जोहै छी ।