23 March 2016

आइ नै छोड़बौ धैये क रहबौ

कनिये सुनबौ कने सुनेबौ और किछो नै करबौ
गे बुची और किछो नै करबौ
आइ नै छोड़बौ धैये कऽ रहबौ -2
गे गोरी हम तोरे पटेबौ

तोरे मिजाज हेतौ नरम गरम
छोड़ेँ बुच्ची लाज शरम
अपना संगे तोरा घुमेबौ, चाउमिन चाट खुएबौ
गे बुच्ची चाउमिन चाट खुएबौ
आइ नै ........... .........

तोरा घुमेबौ पटना शहर
बसतै अपन प्रेमक नगर
सीटी माॅल मे तोरा घुमेबौ, कपड़ा हम किनेबौ
गे बुच्ची कपड़ा हम किनेबौ
आइ नै......... ..........

अमित कहै छौ माने ने बात
हमरा संग कऽ ले मुलाकात
ठक-ठकौती हम नै करबौ, कनिया तोरा बनेबौ
गे बुच्ची कनिया तोरा बनेबौ
आइ नै....... .

No comments:

Post a Comment

गीत पढ़बाक लेल धन्यवाद, एहिपर अहाँक टिपणीक बाट जोहै छी ।