23 March 2016

मैया कहिया एबै गाम

मैया कहिया एबै गाम हम सब ठार शरण मे यै

स्वागत खातिर माला बनेलौं , फूल अरहूलक आनी
एकरा कंठ मा कहिया लगायब-2, बाजू ने महरानी
हम सब ठार शरण मे यै
मैया कहिया.........

मेवा मिश्री आनि छी रखने, धुमन गुगुलक बाती
सात बहिन संग अबितौ अम्बे-2 नित दिन साँझ पराती
हम सब ठार शरण मे यै
मैया कहिया.......

माइ सुनू दुख क्षमा करू ने, हम छी पातक भारी
एक बेर मम कुटीमे आबि कऽ-2 दिअ हमरो तारी
हम सब ठार शरणमे यै
मैया कहिया........

सुर नर मुनी सब बाट जोहै छथि, करियौ सिंह सवारी
अमित आ अन्नू पलक बिछौने-2 चाहय दरश तिहारी
हम सब ठार शरणमे यै
मैया कहिया . .......

तर्ज-भोला गौड़ी के हरलनि ज्ञान
एलवम- उद्धार करू जननी
स्वर- अन्नू कर्ण
कंपनी- सरगम म्यूजिक

No comments:

Post a Comment

गीत पढ़बाक लेल धन्यवाद, एहिपर अहाँक टिपणीक बाट जोहै छी ।