23 March 2016

ललकी चुनरिया ओढ़ा देबै मैयाकेँ

चलू ने दुअरिया, सजा देबै मैया के
ललकी चुनराया ओढ़ा देबै मैया के

पु-
कहू कहू माँ के कोन गहना चढेबै
स्त्री-
पायल चूड़ी हार माँ लय कंगना गढेबै
हाथ मे मेंहदी लगा देबै मैया के
ललकी चुनरिया✝✝✝✝...

स्त्री-
कौने रंग साड़ी देबै कौने रंग चुनरी
पु-
चम्पा रंग साड़ी देबै लाले रंग चुनरी
लाले लाल मंदिरबा बना देबै मैया के
ललकी चुनरिया.....

पु-
अशोक जी आनथिन माँ लय लले लाल फूलबा
स्त्री-
अन्नू जी देथिन माँ के लाले लाल सेनूरबा
अमित भजनिया सुना देतै मैया के
ललकी चुनरिया .......

तर्ज- बौरहबा तमसा गेलै दैया गे

No comments:

Post a Comment

गीत पढ़बाक लेल धन्यवाद, एहिपर अहाँक टिपणीक बाट जोहै छी ।