26 March 2016

कतऽ जाइ छें जुआनीक भार लऽ कऽ

एकटा नाटकक लेल लिखल गेल गीत

कतऽ जाइ छें जुआनीक भार लऽ कऽ
गोरी आठ दस मोहल्ला बेमार कऽ कऽ

भीजल केश लागौ बरखा बरसल एतऽ
प्रेम आगिमे तपि कऽ सुखा ले एतऽ
साँझ पड़िते ई सोलहो श्रृंगार कऽ कऽ
गोरी . . . .

सूति उठि तोहर फोटो देखै छी हम
माँछ देखने बिना जतरा बनबै छी हम
नैन करेजसँ अपन तार जोड़ि कऽ
गोरी . . . .

मनलौं जनमेसँ हम उचक्का छीयै
मुदा प्रेमक बेर सजनी पक्का छीयै
संग जीबै मरै के करार कऽ कऽ
गोरी . . .

No comments:

Post a Comment

गीत पढ़बाक लेल धन्यवाद, एहिपर अहाँक टिपणीक बाट जोहै छी ।