26 March 2016

शारदे माँ शरणमे छी आयल

शारदे माँ शरणमे छी आयल ,
कने नैन खोलियौ ,दया दृष्टी करियौ

हम पूत अहाँ मोर जननी
तैयो लागल जीवन भरि कननी
जागू-जागू भोर माँ भेलै ,कने नैना .. . . . .

श्वेत साड़ी श्वेत हंसक सिंहासन
श्वेत कमलक बनल अछि आसन
हाथ विणाक स्वर सुनैयौ ,कने नैना . . . . . . .

ज्ञान बिनु हम अज्ञानी बनल छी
माँ कखनसँ चरणमे पड़ल छी
ज्ञानक भीख दऽ झोरी भरियौ ,कने नैना खोलियौ . . . . .

No comments:

Post a Comment

गीत पढ़बाक लेल धन्यवाद, एहिपर अहाँक टिपणीक बाट जोहै छी ।