23 March 2016

भाग खुलि जेतौ रे

चलें चलें भाइ रौ, एलनि अम्बे माइ रौ
नहियें पछुआइ रौ, चलें चलें आइ रौ
जखन भक्ति मे मन रमि जेतौ रे
तऽ भाग खुइल जेतौ रे-2

सबके पालनहारी छथि, महिमा हिनकर न्यारी छै
जेकरापर ई दया करथि, तेकर भाग उजियारी छै
चलें चलें आइ रौ, एलनि अम्बे माइ रौ
चल अगुआइ रौ, नहियें पछुआइ रौ
जखन माँ के नजर पड़ि जेतौ रे
तऽ भाग खुलि.........

फूल अरहूल माला लऽ, चल पूजा के डाला लऽ
पेड़ा मिश्री मेवा लऽ, सेव नारंगी केला लऽ
चलें चलें आइ रौ, जयकारा लगाइ रौ
माँ के गोहराइ रौ, चल अगुआइ रौ
दुर्गा माँ दुख हरि लेतौ रे
तऽ भाग खुलि..........

सबके विपदा लेलनि माँ, सब के सुख दऽ देलनि माँ
विपिन भजन सुनाबै छै, अमित के दुख लेलनि माँ
चलें चलें आइ रौ, एलनि अम्बे माइ रौ
नहियें पछुआइ रौ, चल अगुआइ रौ
जीवन खुशी सँ भरि जेतौ
तऽ भाग खुइल........

एलवम- माँ के हमर प्रणाम
स्वर- विपिन मिश्रा

No comments:

Post a Comment

गीत पढ़बाक लेल धन्यवाद, एहिपर अहाँक टिपणीक बाट जोहै छी ।