23 March 2016

एलौं दुअरिया हे छठी मैया

एलौं दुअरिया, हे छठी मैया, फेरियौ कने नजरिया
फेरियौ कने नजरिया, फेरियौ कने नजरिया
एलौं दुअरिया हे छठी........

अंकुरी अक्षत पान अना कऽ, एलौं मैया घाट पर
खाली पएरे रोड़ी गड़लै, तैयो चललौं बाट पर
सुनियौ कने अरजिया, सुनियौ कने अरजिया-2
एलौं दुअरिया...............

नारियल नेबो केला अनलौं, आनलौं कुसियार यै
अर्घ देबै लेल भोरेसँ माँ, भेलौं पानिमे ठार यै
लियौ कने अरघिया, लियौ कने अरघिया-2
एलौं दुअरिया..............

पवनौतिन सब व्याकुल भेलै, होइयौ आब सहाय यै
अमितके विनती सुनियौ मैया, आशीष सहै ये आइ यै
हरियौ कने बिपतिया, हरियौ कने बिपतिया-2
एलौं दुअरिया.........

एलवम- एलौं दुअरिया हे छठी मैया
स्वर- मोहित नारायण

No comments:

Post a Comment

गीत पढ़बाक लेल धन्यवाद, एहिपर अहाँक टिपणीक बाट जोहै छी ।