23 March 2016

शेरावाली मैया कने एम्हरो त आ

तूँ हीं छेँ दुर्गा तूँहीं काली माइ गे
तोहर दुआरि छोइड़ कतऽ हम जाइ गे
अपन भगतन के माँ कने दर्शन देखा
हे गे शेरावाली मैया कने एम्हरो तऽ आ

किओ नै जग मे अपन, सब भगबै छै माँ
तोहर पूजा करै छी तऽ, ताना दै छै माँ
आबि धरती पर माँ कने शक्ति देखा
हे गै शेरावाली......

तोरे गाथा गाबै छौ, देवतो सब गै माँ
स्वर्गक आसन छोइड़ कऽ, धरती पर माँ आ
अपन चरणन लए माँ नै भगतके कना
हेगे शेरावाली......

सब के मोन लागै छौ, तोरे दुआइर पर
तोरे आँचर धऽ कऽ माँ, जीवन जाएत गुजर
अपन कोरामे माँ अमित के उठा
हे गे शेरावाली मैया.........

तर्ज- हे गे डी जे बाली छौड़ी
एलवम- माँ के हमर प्रणाम
स्वर- आशिष मिश्रा
कंपनी-jm music

No comments:

Post a Comment

गीत पढ़बाक लेल धन्यवाद, एहिपर अहाँक टिपणीक बाट जोहै छी ।