23 March 2016

चलू करबै छठि बरतिया, अरजिया संगे क लेबै

चलू करबै छठि बरतिया, अरजिया संगे क लेबै
संगे कऽ लेबै अरजिया संगे क लेबै
चलू करबै.............

चलू ने घाट बना कऽ, डाला के आइ सजा कऽ
आइ एथिन राणा मैया, सूरज संग रथ सजा कऽ
चलू चलू आइ भौजी, ललनबा संगे मागि लेबै
चलू करबै........

छथि ममता के माँ मूरत, माँ सब के बतिया सूनत
सब अचरा खोलि कऽ माँगू, सब के आइ असरा पूरत
चलू भैया चलू विपतिया सबटा कहि देबै
चलू करबै .............

चलू दंड प्राणाम आइ दैते, जयकारा जोर सँ करितै
चलू डाला माथ उठा कऽ, अमित संग डेग बढबिते
केरा नारियल दूधक आइ अरघिया द देबै
चलू करबै...

No comments:

Post a Comment

गीत पढ़बाक लेल धन्यवाद, एहिपर अहाँक टिपणीक बाट जोहै छी ।