22 March 2016

माँ गे माँ की कसूर हम केलियौ

माँ गे माँ की कसूर हम केलियौ
कह ने नजरिसँ खसि कोना गेलियौ

तोरेसँ कहलौं माँ दिल केर बतिया
तूँहीं हरै छें माँ सब के विपतिया
हमरा विपति किए, देलें नै जनलियौ
माँ गे माँ,,,,,,,,,,

दुर्गा भवानी तूँहीं, तूँहीं महरानी
हमर कल्याण नै करै छें कल्याणी
दुष्ट असुरके तारलें, हम ने तरलियौ
माँ गे माँ ,,,,,,,,,,,,,,,

अम्बे दुआरि आबि हम कानै छी
माता प्रसन्न भऽ जो विनती करै छी
कहौ अमित मिसियो स्नेह नै गमलियौ
माँ गे माँ ,,,,,,,,,,

No comments:

Post a Comment

गीत पढ़बाक लेल धन्यवाद, एहिपर अहाँक टिपणीक बाट जोहै छी ।