02 April 2017

पिया जी रहै छै घूसल

गीत

पिया जी रहै छै घूसल, हरदम ह्वाटसेप पर
फेसबुक बाला एप पर ना
1
राखै छथि घरपर नै ध्यान, जाइ के छलै आइ दोकान
खतम भ' गेल सबटा आटा, नै छै राशन केर समान
आटा चक्की ताकै छै, गूगल बाला मैप पर
फेबबुक बला एप पर ना
2
पहिने करथि हमरा प्यार, ल' जाइथ घूमै लेल बजार
आब घोंटैथि खूब मोबाइले, बन्द क' घरक सब केबार
पित्ते माहुर होइ मन, पिया संगे गैप पर
फेसबुक बाला एप पर ना
3
दूनू बच्चा भेल अबारा, आब उप्पर बाला के सहारा
पहिने करै छलथि माहटरी, भेलथि नम्बर एक नकारा
नाचै छथि अपने ताले, जियो बाला रैप पर
फेसबुक बला एप पर ना

अमित मिश्र

No comments:

Post a Comment

गीत पढ़बाक लेल धन्यवाद, एहिपर अहाँक टिपणीक बाट जोहै छी ।