23 March 2016

चलू भक्तिमे भ' जाइ मगन

चलू भक्ति मे भ जाइ मगन, कि कहू बमबम बम भोले
चलू शिव के करै लए पूजन , कि कहू बमबम बम भोले

फूल अक्षत चढ़ेबै तऽ यौ, भोला जी खुश भऽ जेथिन
बेलपात आ जल देबै तऽ सब दुख लऽ लेथिन
चलू करै लए अर्पित जीवन
कि कहू बमबम बम भोले

सत भक्ति देखेबै तऽ यौ, भोला जी गप सुनि लेथिन
सत मनसँ बजेबै तऽ यौ, बाबा जी दौड़ल चलि एथिन
चलू करै लए शिव सुमिरन
कि कहू बमबम बम भोले

रोग शोक सँ अमित के, कनेक तऽ बचा लिअ
अपन बेटा अलवेला के, शरणसँ लगा लिअ
आब लागि गेल अहाँ सँ लगन,
कि कहू बमबम बम भोले

स्वर- अशोक अलवेला
एलवम- बाबा चलअ न बिहार


लोड करु- http://mithilanchalweb.in/site_965.xhtml?userstyle_set=%23FFFFFF,%2300000,%230099CC

No comments:

Post a Comment

गीत पढ़बाक लेल धन्यवाद, एहिपर अहाँक टिपणीक बाट जोहै छी ।