26 March 2016

सबके असरा तुहीं पुरेलें

सबके असरा तुहीं पुरेलें, तोरेसँ बंगला कार गै
हमहूँ तोरे बेटा छियौ माँ कअरें ने हमरो दुलार गै

आबि रहल छौ भगता तोहर, करअ खातिर दर्शन गै
अरहूल माला लेने डाला, एलौ करै लए वन्दन गै
पूजा करै छौ सब नर नारी, करै छौ जयकार गै
हमहूँ तोरे बेटा छियौ............

जुनि रूसें तूँ हमरा सँ, कहबै हम जा ककरा गै
मारय ताना पूरा जमाना, सब के सब सँ रगड़ा गै
तोर दया सँ दुनिया चलै छै, कर ने कनियो विचार गै
हमहूँ तोहर बेटा छियौ...............

मोहन मिश्रा गाबै छौ गाना, विनती करै छौ जननी गै
अमित मिश्रा माँगै छौ अचरा, हरि ले सबटा कननी गै
जगजननी दुखहरनी दुर्गा, तूँ हीं सब के आधार गै
हमहूँ तोरे बेटा छियौ माँ......

तर्ज- फेसफुक पर तोहर फोटो देखलियौ
स्वर- मोहन मिश्रा
एलवम- गेट खोलू माँ
कंपनी- jm music
Year- 2015

No comments:

Post a Comment

गीत पढ़बाक लेल धन्यवाद, एहिपर अहाँक टिपणीक बाट जोहै छी ।