23 March 2016

घघरा चोली देलकौ आब इतर बाँटै छौ

घघरा चोली देलकौ आब इतर बाँटै छौ
जो गे मुखिया जी के बेटा घर के भीतर बजबै छौ
हे गे मुखिया जी के बेटा तोरा भीतर बजबै छौ

भितर मे जा कऽ कने करिहें कनफुसकी
रसे रसे लिहें गोरी लभ के चुस्की
अपन कलम सँ सब टा सिगनेचर करबै छौ
जो गे मुखिया जी के बेटा घर के भीतर बजबै छौ

अपन जवानी के तूँ कैश कऽ लिहें
इन्दरा आवास अपन नाम करबबिहें
सब सरकारी योजना तोरे भीतर चलबै छौ
जो गे मुखिया.....

अगिला चुनावमे नाम तोहर चलतौ
अमित अशोक संगे ठार तोरा करतौ
रतिये भरि मे बड़का चमत्कार करबै छौ
जो गे मुखिया......

एलवम- छिटकी मारि देतौ
स्वर- अशोक अलवेला
लोड करु- http://mithilanchalweb.in/site_chhitaki_mair_deto_ashok_albela.xhtml

No comments:

Post a Comment

गीत पढ़बाक लेल धन्यवाद, एहिपर अहाँक टिपणीक बाट जोहै छी ।