26 March 2016

यै मैया एतेक नै देरी अहाँ करू

हे जगजननी मैया, कने विपदा हमर हरू
यै मैया एतेक नै देरी अहाँ करू

ककरासँ कहबै किओ बात नइ सुनतै
बेटा के दूख अहाँ बिन किओ नै बुझतै
हे महरानी मैया, रानी हमरो कष्ट हरू
यै मैया..........

निर्धन के धऽन देलियै कोढ़िया के माँ काया
टूगर छी हम तैयो लागै नै ये माया
जय जय काली दुर्गा, मैया झोली हमर भरू
यै मैया........卐卐

दै छी निमंत्रण करियन गाम माँ एबै
पुत्र अमित पर कनिये ध्यान अम्बे देबै
सब भगता तऽ बाजय, मैया हमरो अरज सुनू
यै मैया.....卐......

No comments:

Post a Comment

गीत पढ़बाक लेल धन्यवाद, एहिपर अहाँक टिपणीक बाट जोहै छी ।